विगत २२ दिसंबर 2018 के एकटा छोट-छिन आयोजनक माध्यम से ददाजी के (हमर पिता स्व० कुमार विमलानंद सिंह) के हुनक जन्मदिवसक शताब्दी के शुभ अवसर पर श्रद्धांजलि देबाक निश्चय केलौं। एहि अवसर पर किछु मैथिल विद्वज्जनक मार्गदर्शन में अपन मैथिली कथा संग्रहक विमोचन आर चर्चा सेहो सफलतापूर्वक करबौलहुं। प्रातःकाल में संगीत गोष्ठी का बाद, भगवान सभ के विशेष भोग लगा के परिवार- कुटुंब-मित्रक संग प्रसाद रूप में भोजन पाओल गेलैक। स्थान- दरबार हौल, ड्योढ़ी बनैली चंपानगर, जिला-पूर्णिया।

