Friday, December 1, 2023

"हमरा बिसरब जुनि" कथा संग्रहक तेसर पुष्प

 हमरा बिसरब जुनि

‘राजा होथि कि महाराजा, तेरह तेरह बरखक कन्या रखताह त लोक कहबे करतन्हि’

केओ कुटुम्बिनी बाजल छलीह से रानी दुर्गेश्वरी देवीक कान मे पड़ि गेल छलन्हि।

बात त सत्ये छलैक। यशोमायाक धुआ यद्यपि छोेट छलन्हि मुदा बारहम पुरि के तेरहम चढ़ि चुकल छलनि से कनेक टा बात नहि छलैक। मुदा रानी साहेब की करथु। कत्तहु फेकि कोना के दितथिन। जतेक वऽर ठीक होइत छलनि सभक एक्कहि मांग। ‘केदलीक तालुका लिख दियऽ’ अही एक मांग पर कथा स्थगित भऽ के टुटि जाइत छलन्हि।

‘कालीगंज रेयासत’ कनेक टा नहि छलैक। बावन धार एवं बावन पहाड़क राज्य कहबैत छलैक। मुदा केदलीक तालुका अपन उर्वर भूमिक कारणे रेयासतक नाक कहबैत छल। सभ सॅ बेशी राजस्व अही खंड से अबैत छलैक। तैं केदलीक इलाका केँ कन्यादानक मूल्य मे देनाइ राजा के कदापि मंजूर नहि छलनि। 

एक से एक कथाक सूत्र अबन्हि। उच्च श्रोत्रिय, ताहिपर सॅ सुंदर प्रथम वर सभ। मुदा जहिना कथा उपस्थित कयेल जाइ कि घूरि फिर के एक्कहि ‘केदलीक’ मांग कऽ बैसथि बऽरक बाप। 

कालीगंजक ब्राह्मण राजवंश श्रोत्रिय नहि छल तैं श्रोत्रिय सॅ संबंध हुनका लोकनि के बड़ श्रेयस्कर बुझाइन्ह। ऐहेन नहि छलैक जे श्रोेत्रिय लोकनि कालीगंजक संबंध से साफे कतराति होथि। कतेक उच्च श्रेणीक लोक भीतरहिं भीतर ऐहेन संबंध बनबैक लेल लालायित रहैत छलाह। कारण छल जे हिनका लोकनि के प्रचुर धन संपदा तऽ भेटबे करन्हि, संगहि विशेष आदर सम्मान सेहो प्राप्त होइन्ह। तै श्रोत्रियेतर परिवार सॅ संबंध स्थापनक फलस्वरुप होइवला सामाजिक भर्त्सना एंव निष्कासनहु के इ लोकनि सहि जाथि। हॅं एकर भरपाइ-स्वरुप किछु मोट टाका आओर मुंहमांगल भू-संपदाक लोभ हिनका लोकनि के ग्रसित कइये लन्हि। आ से भेटबो करन्हि। 

मुदा ‘केदली’ देनाइ साफ अस्वीकार छलनि राजा केॅं। अंत मे, बड़ अनुसन्धानक बाद एकठाम कथा स्थिर भेलन्हि। अठारह वरखक प्रथमवर, द्वितीय श्रेणीक बड़का सोति।  केदली तऽ बाॅंचि गेलनि मुदा व्यवस्थाक नाम पर पूरे एगारह हजार टाका देमऽ पड़लनि। ताहू पर शर्त ई, जे टाकाक प्रसंग गोपनीय रखैत, वऽर केॅ एहितरहेॅं लऽ जाउ जाहि सॅ बुझना जाइक जे बऽरक अपहरण भेल हो। कियेक तऽ अपहरणक कथाक प्रसार भऽ गेने सामाजिक बहिष्कार सॅ बाॅंचि जेताह, ऐहेन विश्वास छलन्हि वऽरक बाप के। 

कालीगंजक लोक के सभटा मान्य करहि पड़लनि। राजकन्याक बढ़ति वयेसक दुआरे ओ लोकनि कन्यादानक लेल ततेक आतुर छलाह जे बेसी मीन-मेख निकालबाक औकाति नहि छलन्हि। ताहि पर सॅ, ई कथा आन सभ तरहेॅं उपयुक्त छलन्हि। 

बैसाख शुरु होइ सॅ एक पख पहिनहि भुटकुन झा अपन बालकक अपहरणक संपूर्ण योजना लिख के पठा देलखिन। ‘आगामी शुक्ल दशमी के प्रातहि बौआ अपन बहिनक सासुरक लेल विदा हेताह। संगमे मात्रा एकटा खवास रहतन्हि। ई अवसर सभ तरहेॅं ठीक बुझना जाइत अछि तैं सरकार के लिख रहल छी जे एहेन उपाय कयेल जाये जे बौआक कठमान ‘भोला बाबू’ ओहि दिन प्रस्तुत रहथि। बाटहि सॅ लऽ जाथिन से नीक। भोला बाबू यदि कहथिन जे ‘चलू, दड़िभंगा धुरा दैत छी’ तॅऽ कोनो तरहक आपत्ति नहिये करताह। शेष अपने स्वयं सर्व समर्थ छी- इत्यादि।’

योजनाक अनुरुपे सभ कार्य भेलैक। वऽरक कटमाम श्री भोलानाथ झा जे कालीगंजक सर्कल मनेजर छलााह, आओर अइ कथा मे मुख्य घटक सेहो छलाह, नियत समय पर राजक मोटरकार लेने ओइ स्थान पर पहुचि गेलाह, जै बाटें वऽर के आयेब निश्चित छलनि। एकटा गाछक तऽर मे कार रोकि के भागिनक प्रतीक्षा करऽ लगलाह। करीब पौन धंटाक बाद दूटा व्यक्ति अबैत दृष्टिगोचर भेलखिन। एक गोटा घोड़ी पर बैसल चल अबैत छलाह आओर दोसर युवक जे संभवतः हुनकर नौकर छल से पाछाॅ पाछाॅ माथ पर पेटी उठौने अबैत छल। लऽग अबै पर भोला बाबू चीन्हि गेलखिन। वऽर आओर हुनक खवास छल। कार से उतरि के सोर पाड़लखिन 

‘औजी, घूटर बौआ छी यौ’?

‘लालममा! अहाॅं एतऽ ?’ कहैत लऽग आबि के धूटर, माम के गोड़ लगलखिन। आओर किहु पुछितथिन मुदा हुनकर घ्यान तऽ चमचमाइत मोटरकार दिस छलन्हि। पुछलखिन 

‘ई हवागाड़ी थिकैक ने! अहाॅक थिक लालममा ?’

लालमामा सोचितहि छलाह जे षड़यंत्रक सूत्रपात कतऽ सॅ करी से अनायासे भऽ गेलन्हि। सूत्र के मतबूती सॅ पकड़ैत बजलाह

‘हमरे थीक, सैह बुझू- - - घुरब मोटरकार पर ?’

घूटर कुदि के बजलाह ‘कनेके घुरा दियऽ, कोम्हर सॅ बेसबैक ?

- - चलू ने!’

भागिनक अगुताइ देखि के भोला बाबू जाल फेकलन्हि ‘कनेके कियेक घुरब ? चलू नीक जेकाँ घुरा दैत छी। हमर संग दड़िभंगा चलू। मोटरकारो पर चढ़ल भऽ जायेत आओर दड़िभंगो घूरि लेब’

एक्कहि संग दू दू टा आकर्षक प्रस्ताव सॅ पहिने तऽ घूटर बड़ प्रसन्न भेलाह मुदा लगले मोन पड़लनि जे हुनका बहिनक ओतऽ जेबाक छलनि। उदास भऽ के माम के कहलखिन 

‘मुदा हम त लोहना जेबाक लेल निकलल छलहुँ- - सीता बहिन ओइठाम - -’

‘से कोन भारी बात छैक, हम साँझ धरि अहाँके लोहने पहुँचा देब। हमहू सीता दाइ सॅ भेंट कऽ लेबेन्ह। रौ मुनमा- - तो घोड़ी लऽ के लोहना चलि जो, सीता दाइ के कहभून जे लालममाक लेल माछ बना के रखतीह, हम साँझो साँझ तक पहुचि जेबन्हि घूटरक संग’

आब घूटर जाल मे पैसि चुकल छलाह। झटपट गुनमा के आवश्यक निर्देश दऽ के कार के पिछुलका सीट पर भोला बाबूक बगल मे बैसि गेलाह। मोन आनंद सॅ ओतप्रोत छलनि। एक्के संग कैकटा प्रश्न पूछऽ लगलखिन 

‘ई ठीके हवे सॅ चलैत छैक ? लगाम तगाम किच्छु नहि ? चकाचक केहेन करैत छैक!’

हॅंसि के भोलाबाबू षड़यंत्रक अगिला चरणक सूत्रपात केलन्हि। कहलखिन ‘अहू सॅ बेशी चकाचक करैत मोटरकार होयत अहाँके। अहू सॅ बढ़ियाँ, बस, अप्पन लालममा पर विश्वास राखऽ पड़त।’ 

लालमामाक मुह ताकऽ लगलाह घूटर। कान पर जेना विश्वासे नहि भेलन्हि। लालमामा कहैत गेलखिन ‘हँ यौ भागिन! मोटरे टा नहि, कोठा, सोफा, सभ हैत- -’

तावत ड्राइवर कार स्टार्ट कऽ देलकै। इंजिनक घरघरी सॅ आओर  साकांक्ष आ अचंभित भऽ के घूटर मामक दिस तकलनि। हुनका बुझि पड़लेन जेना लालमामा कोनो तिलस्मी जादूगर होथि आओर ओ स्वयं कोनो राजकुमार। 

साम दाम दंड आओर भेदक समुचित ओ सामयिक प्रयोग करैत, नानाप्रकारक लाभक प्रस्ताव सॅ किछुये काल मे भोलाबाबू तेहेन ने सम्मोहित केलखिन जे धूटरक सरल-तरुण मोन मणिकांचनक वशीभूत भऽ गेलन्हि। जालक मुंह कसाइत चलि गेलैक आओर ओ ओहि जाल मे नीक जेकाँ फंसि गेलाह। 

चारिम दिन, अपन विजयपताका फहरबैत, भोलाबाबू, वऽरक संग, कालीगंज पहुंचि गेलाह। तखनहि सिद्धान्त आओर कुमरम इत्यादि भेलैक आओर प्रातहिं शुभ लग्न मे घूटर झा, राजकन्या यशोमायाक पाणिग्रहण कएल। 

आब घूटर राजाक जामाता भऽ गेलाह। नाम मे उपाघि जुड़ि गेलेन्ह। मुदा ‘ओझा साहेब बाबू घूटर झा’ ई नाम   सभ के बड़ अनसोहाॅंत बुझना जाइ। ततेक अनसोहाँत नहियो बुझि पड़ितै मुदा राजाक खास खवासक नाम सेहो छलैक ‘घूटरा’। तैं अंत मे इयेह तय भेल जे ओझाक राशिके नाम प्रचलित कयेल जाइन्ह। घूटर झा आब ‘ओझा साहेब बाबू भेषधारी झा’ कहबऽ लगलाह। 

सुनि के घूटर के कोनादन लगनि मुदा जेना जेना समय बीतैत गेलैक तेना तेना नव वातावरण, नव उपाघि आओर नव सम्मानक इंद्रघनुषी रंग मे मोन रंगैत चलि गेलैन्ह। रहबाक लेल पृथक भवन, नौकर-चाकर, सवारीक लेल नव मोटरकार। चारू कात सॅ मान आदरक बरसात होइन्ह। प्रतिदिन राजा साहेब अपन मोसाहेब लोकनिक द्वारा कुशलादि पुछबथिन। रानी साहेब अपनहिं हाथें पान लगा के जमाए के पठबथिन। ओझा साहेबक एक इच्छाक पूूर्ति करबाक लेल दसो दिशा मे लोक दौड़ि जाए। 

मुदा सभसॅ प्रगाढ़ एंव मनोहारी रंग चढ़लनि यशोमाया दाइक सहज स्वाभाविक समर्पणक। यशोमाया यौवन मे पयेर रखनहि छलीह। जेना कोनो नव लता समीपस्थ वृक्षक संरक्षण पाबि के गति पबैत अछि आओर किहुये काल मे पसरि के आच्छादित भऽ जाइत अछि तहिना यशोमायाक नव यौवन आओर नव प्रेम मे नित नव स्फुरण होमऽ लगलन्हि तरुण पतिक सानिध्य सॅ। प्रेमक ई पहिल अनुभूति आओर प्रेयसीक सहज समर्पण तेहेन ने बन्हलकनि जे  घूटरक तारुण्य नेहाल भऽ गेलैन्ह। गामक माटिक गंधो बिसरऽ लगलैन्ह। ओझा साहेब कालीगंजक माटि मे रमऽ लगलाह। 

ओम्हर, मघुश्रावणीक बादहिं सॅ भुटकुन झाक कयेक टा पत्र आबि चुकल छलन्हि। पुत्र आओर समधि दूनू के। सभमे इएह अनुरोध जे आब घूटर के विदा कएल जाइन्ह। बेटा के चुमाओन कऽ के विवाहक लेल पठबितथि से मनोरथ तऽ पूरा नहिये भऽ सकलन्हि, कम सॅ कम कोजागराक चुमाओन  करितथि से सिहन्ता छलनि वऽरक माए केॅ। पत्रक आशय बुझि के इयेह तय भेल जे यात्राक दिन धूटर विदा भऽ के गाम जाथि। कोजागराक भार ओत्तहि जाइन्ह जाहि सॅ गामोक लोक कालीगंज राज्यक वैभव आओर साँठ राज देखए। 

बड़ उत्साह सॅ वऽरक विदाक ओरिआओन भेल। दुर्गेश्वरी ततेक वस्तुजात देलखिन जे लोक देखितहि रहि गेल। परिवारक स्त्रीगण सभक लेल उत्तम व्यवहार पठौलखिन। पृथक सॅ समधिनक लेल दू पेटी भरि कपड़ा लत्ता, गहना-गुरिया देलखिन। 

मुदा घूटर के, ने विदाक समाचारे सॅ तेहेन प्रसन्नता भेलन्हि आ ने वस्तुजाते देखि के कोनो कौतूहल। विदा होइक अर्थ छल गाम मे माएक सामना केनाइ। आओर ओ अपन माएक उग्र स्वभाव सॅ पूर्ण परिचित छलाह। गाम पहुचलाक बाद ओ केहेन प्रतिक्रिया देखौथिन, तै विषय मे भांति भांतिक आशंका मोन मे होमऽ लगलन्हि। संगहि, प्रिया-विछोहक कल्पनामात्र सॅ मोन कातर भऽ उठलन्हि। एखनहि तऽ सूखल धरती पर बरखाक पहिल फोहार पड़ल छल, एखनहि तऽ माटि मे सॅ सोन्ह-सोन्ह गन्ध बहराके चारू कात पसरल छल आओर एखनहि ई तुषारापात! मुदा करितथि की? 

विदा सॅ पहिलुका राति मे, जखन यशोमाया हाथ मे एकटा रुमाल पकड़ा देलखिन आओर कॅपैत कंठ सॅ एतबहि कहि सकलखिन ‘हे, मोन राखब, हमरा बिसरब जुनि’ तऽ किछु उत्तर नहि फुरलन्हि। गऽर अवरुद्ध भऽ गेलेन्ह। स्त्रीक हाथ गसिया के धऽ लेलन्हि। 

विदा कालक करुण गीत, आओर अर्थपूर्ण विधि सभक संपादन करैत करैत घूटरक मोन ततेक आकुल भऽ गेल छलन्हि जे ओ अनमनस्क जेकाॅं सभ निर्देशक पालन करैत चल गेल छलाह। मोटरकार काफी दूर निकलि गेलैेक तखनि लेना भक्क टुटलनि। हँ, ई धरि मोन पड़लनि ले पत्नीक हाथक कोमल स्पर्श पीठ पर पड़ल छलनि आओर उपस्थित स्त्रीगण मे सॅ केओ बाजल छलीह

‘यौ ओझा साहेब, ई सिनुरक थाप हमर यशोमाया दाइक हाथक थिक, जखनि जखनि अइ पर नजरि पड़त तऽ ओ अहाँक सोझाॅं मे ठाढ़ भऽ जेतीह। बिसरबनि जुनि हमर यशोमाया दाइ के’ 

आओर पीठ पर ओ तरहथी काँपि उठल छलैक। घूटर आखि बन्न कऽ लेलन्हि। 

जहिना दरवज्जा पर मोटर पहुंचलैक कि देखितहि देखितहि लोकक ठट्ठ लागि गेलैक। भुटकुन झाक बालक राजाक बेटी सॅ विवाह कऽ के घूरल छथि सयेह गामक लोक ले कनेक टा गप्प नहि छलैक। तै पर सॅ इहो हल्ला छलैक जे यदि भुटकुन झा बेटाक ई संबंध केॅं स्वीकार करताह तऽ सोति समाज सॅ बारल जेताह। तैं तमाशा देखै ले आओर बेसी लोक जमा भेल छल। आ भेबो केलैक तहिना। एम्हर भोलाबाबूक संग घूटर दालान पर पयेर रखलनि कि ओम्हर आंगन मे कन्ना-रोहट आरंभ भऽ गेलैक। घूटरक माए चिकरि चिकरि के भोलाक सातो पुरखा के गारि श्राप सॅ दागऽ लगलखिन। 

‘यौ भोला बाबू यौ भोला बाबू! कोन जन्मक बदला लेलौं यौ! - - - आरे बाप रे बाप! डाका दऽ देलहुं हमर घर मे - - सोन सन पूत के लऽ जाके छोटहाक ओइठाम बेचि देलहुं यौ - - - दूनू सार बहिनौ मिलके ई कोन खेल खेलेलहुं- - - बौआक बाबू के तॅ तेहने ज्ञान भेलन्हि जे मुइल स्त्रीक भाइ केर गप्प मे पड़ि के अपन परलोको नष्ट कऽ लेलन्हि- - - आब मुइला पर जलहु के देत? - - - आबथु ने भोला बाबू कनेक हमर सोझाँ मे - - - मुहें झौंसि देबन्हि भकसी मे - - - बाप रे बाप! - - एतेक पाप कतऽ के राखब यौ भोला बाबू- - तेहेने बाप छलाह जे भिनसर मे लोक नामो नइ लइ छन्हि - - - हे दिनकर !- - - देखबन्हि हिनका - - - इत्यादि। 

घूटर के तऽ माए सॅ एहने आशा छलनि मुदा भोलाबाबू के तऽ जेना काठ मारि देलकेन। ओ तऽ बहिनौ के कहला पर अइ काज मे पड़ल छलाह। तैं हतप्रभ भऽ के भुटकुन झा दिस ताकऽ लगलाह। स्त्रीक रंग ढंग देखि भुटकुन पहिनहिं सॅ अप्रतिभ भेल ठाढ़ छलाह मुदा आब परिस्थिति के विशेष बिगड़ैत देखि आगाँ बढ़ि के सारके हाथ पकड़ि के बैसौलखिन आओर कहऽ लगलखिन ‘हिनकर स्वभाव तऽ अहाॅं जनिते छी - - तै पर सॅ मनोरथ छलनि जे धरमपुरक सदानन्द ठाकुरक कन्या मे करितथि, से जे नहि भऽ सकलन्हि तेकरे - - -’।

घूटरक माए दोरुखा लग सॅ सुनैत छलखीन। बिच्चहि मे लोकि लेलखिन। कहलखिन 

‘से एखनि की भेलैए ! हम, यदि एहि अगहन मे सदानन्द ठाकुरक बेटी के, पुतोहु बना के नहि देखा दी तऽ हमर नाम ‘कामाख्या’ नहि ! घूटरक बाबू रुपैया गनि गनि के चटैत रहथु !

तखनहि, घुटर आँगन मे जाके माए के गोड़ लगलखिन। आँखि मे काजर आओर माथ पर घुनेस-पाग देखैत देरी चीत्कार कऽ उठलीह कामाख्या। घुनेस नोचि के फेकि देलखिन आओर मूर्छित भऽ के खसि पड़लीह। दाँती लागि गेलन्हि। घूटर दौड़ि के जल अनलन्हि। जऽलक छीटा दऽ के होस मे अनलखिन। होस मे अबिते देरी फेर वयेह प्रलाप आरंभ भऽ गेलन्हि। 

‘बेटा हम्मर थीक ! नौ मास पेट मे हम रखलियैक ए, हमर बात नहि काटत। किन्नहु नहि काटत हमर बात। - - - ई विवाह कोनो विवाह थिकैक ! हम नऽ- -हि मानैत छी एहेन चोरौआ विवाह ! आ ने हम ओइ छोटहाक बेटी के घऽर करब। हम अप्पन घूटर बाबूक विवाह करबनि अही अगहन मे। लोको देखतैक जे केहेन काज हेतैक। तेहेन साॅंखड़ साॅंठब जेहेन केओ ने सठने हैत - - -  की यौ बाबू ? - - - माएक मनोरथ पूर करब ने ? - - - बाजू ! - - - बौआ!- - माएक मोनक तोख राखब कि ने ? - - - वचन दियऽ हमरा- - - सप्पत खाउ !!- - । 

कहैत कहैत फेर उन्माद आबि गेलन्हि। ओ घूटरक बाँहि पकड़ि के जोर जोर सॅ झकझोरऽ लगलखिन। माए के एहेन विक्षिप्तावस्था मे देखि के घूटर डरि गेलाह। लपकि के माए के उठौलन्हि आओर पिता के सोर पाड़ऽ लगलाह ‘बाबू यौ ! देखियौ ने - - दाइ तऽ कोनादन करै छथि- - दाइ - - दाइ!- - दाइ यै!’ 

बेटाक मुंह सॅ अपन संबोधन सुनितहि कामाख्या आंखि खोलि देलखिन आओर बेटाक गऽर धऽ के हिचुकि हिचुकि के कान लगलीह। कनेक कालक बाद जखनि मोन कनेक हल्लुक भेलैन्ह तऽ उठलीह आओर सभ सॅ पहिल काज ई केलेन्ह ले जतेक भार-दउर वस्तुजात कालीगंज सॅ आयेल छलैक, सभटा उठवाके पोखरि मे फेकवा देलखिन। जखनि ई विवाहे मान्य नहि छलन्हि तखन वस्तुजातक कथे कान। भुटकुन झा किच्छु नहि बाजि सकलाह। 

तेसर दिन जखनि कोजागराक भार आएल तऽ एकबेर फेर हो-हल्ला मचल। मुदा अंत मे एक्कैसो बोरा मखान पोखरि मे फेकवाइये के दम लेलन्हि कामाख्या। किछु काल धरि तऽ मखानक पथार लागल रहल जल-सतह पर। पाछाँ गामक लोक सभ काढ़ि-काढ़ि के लऽ गेल। सुखा-सुखा के रखलक आओर मोन भरि खेलक। मुदा भुटकुन झाक आंगन मे ने चुमाओन भेलनि ने कोनो गीत-नाद। कालीगंजक नामो लेनाइ वर्जित भऽ गेल। 

मुदा घूटर अपन मोन के की करथु। मोने नहि मानल जाइन्ह। घुरि घुरि के मोन अटकि जाइन्ह यशोमाया पर। प्रबल इच्छा होनि पत्र लिखबाक। ताहू सॅ प्रबलतर इच्छा होनि उड़ि के पहुंचि जाइक। मुदा पाँखि छलनि कहाँ ? जेहो छलनि से माए कुतरि के राखि देने छलखीन। माए पर कखनहु के बड़ रोष होइन्ह। 

‘सभ के अपन मनोरथक पड़ल छैक। हमर मोन पर की बीति रहल अछि तै पर केओ कियेक विचार करत। बाबू के टाकाक लोभ छलन्हि से भरि डाँड़ कसिये लेलन्हि। माए के जातिक अभिलाषा छन्हि से पूरा कइये के रहतीह। मुदा हमर की इच्छा आछि, हमर की अभिलाषा अछि तेकर कोनो परवाहि नहि छनि केकरहु!’

सोचैत सोचैत फेर कखनहु संतानजनित कर्तव्यबोध सेहो होइन्ह।

‘ई शरीर न माइये बापक देल थीक, कतेक कष्ट काटि के पोसने हेतीह दाइ हमरा। तैं हुनके पहिल अधिकार छनि, जेना कहथि-- जेना राखथि- - हमरा ग्राह्य हेबाक चाही।’

अइ तरहें, त्याग आओर अनुरागक उहापोह मे पड़ल छलाह घूटर। मोनक द्विविधाक कोनो समुचित समाधान नहि सूझाइन्ह। समय बीतैत रहल। देखैत देखैत दू मास बीत गेल। 

आइ दू दिन सॅ भुटकुन बाबूक आंगन मे बेश चहल पहल छल। कल्हुका साॅझ मे घूटरक विवाहक लेल लाबो भुजा गेलेन्ह। आइ अपरान्ह मे विवाह छलन्हि। बगलेक गाम, धरमपुर मे सदानन्द ठाकुरक ओइठाम बरियाती जेतैक। जातिक श्रेणी मे कनेआँ छठम पड़ैत छैक तै सॅ की ? बरक माए केर उत्साह देखबाक योग्य छलन्हि। बड़ मनोरथ सॅ साँकड़ सठने छलीह। डेढ़ पट्टा चीनी, मऽन भरि सुपारी आओर खास बनारस सॅ मॅगाओल लत्ती बला पटोर। कत्तहु कोनो कसरि नहि छलन्हि। 

कसरि छलन्हि एक्केठाम, बऽरक मोन मे बड़ कसरि छलन्हि। जेना जेना ढोल तासाक तड़तड़ी बढ़ल जाइक तहिना तहिना घूटरक मोन बैसल जाइन्ह। ओ, एकटक, घरक धरैन पर नअरि गड़ौने  ओछान पर पड़ल छलाह। मोन कत्तहु सुदूर मे भटकि रहल छलन्हि। दूनू हाथ पसारि के केओ बजा रहल छलन्हि। डबडबाएल आंखि सॅ केओ उपालंभ दऽ रहल छलन्हि जे ‘एखनहि बिसरि गेलहुँ ?’ एक्के ध्वनि माथ मे टनक जेकाँ घूरि घूरि के बजैत छलन्हि ‘हमर कोन दोष ? हमर कोन दोष ?’

बुझि पड़लन्हि जे माथ लग केओ ठाढ़ अछि। घुरि के तकलन्हि तऽ पिता छलखिन, 

‘उठू बाउ, धरमपुर सॅ आज्ञा लैले आएल छथि। दलान पर चलू’। 

तंद्रा तऽ टुटि गेलन्हि मुदा अनमनस्के जेकाँ पिता सॅ पुछलखिन। 

‘आज्ञा ? आब कथीक आज्ञा देबेन्हि हम ? आओर हमर आज्ञाक कोन काज ?’

पुत्रक मनोदशा पिता सॅ नुकाएल नहि छलन्हि। तइयो घूटर के बुझबैत, कहऽ लगलखिन। 

‘अहींक आज्ञा तऽ सर्वोपरि छैक। ई बड़ महत्वपूर्ण क्षण होइत छैक जीवनक। विवाहक विधि आरंभ करबा सॅ पूर्ण वर सॅ अंतिम आश्वासन लेल जाइत छनि जे ओ एहि कन्याक पाणिग्रहणक लेल प्रस्तुत छथि की नहि। स्वतंत्र रुप सॅ, ओहि कन्याक संग जीवनपर्यन्त निर्वाह लेल तैयार छथि, से वचन वऽरक मुंह सॅ लै केर बादहि कन्याक पिता आश्वस्त होइत छथि। तैं जावत अहाॅं अनुमति नहि देवन्हि, ओतुक्का वैवाहिक कार्यक्रम आरंभ नहि हेतैक।’ 

घूटरक माथ धम्म धम्म कऽ उठलन्हि । मोन पड़लनि जे अइ सॅ पहिनहुं आज्ञा- अनुमति देने छलखिन ओ। किछुये मास पहिने केकरो पाणिग्रहण केने छलखिन। जखन ओइ आज्ञाक कोनो महत्व नहि रहलैक तखन फेर ई नव आज्ञा कथी ले, आओर कोन विश्वास पर ?

घूटर अनमनस्के जेकाँ पिताक पाछाँ लागि गेलाह। दालान लऽग पहुंचि के भुटकुन बाबू के मोन पड़लनि जे घूटरक माथ पर ने पाग छनि ने देह पर तौनी। ओ घूटर के कहलखिन

‘जाह ! पाग तौनी कहाँ लेलहुं, जाउ पेटी मे सॅ निकालि के पहिर लियऽ आओर झट दऽ दलान पर आबि जाउ। कन्यागत के बड़ अगुताइ छनि’।

घूटर अपन कोठली मे घूरि एलाह आओर चौकी तर सॅ पेटी घीचि के खोललन्हि। खोलैत देरी मोन एकदम सॅ बेकाबू भऽ गेलैन्ह। उपरहि मे राखल धबधब उज्जर दोपटा पर यशोमायाक तरहथीक सिनुरक थाप आँकल छलनि। ई थाप दइत काल, जे यशोमायाक हाथ काँपि उठल छलनि, से धक्क सॅ मोन पड़ि गेलन्हि। बुझना गेलन्हि जेना सम्मुख मे साक्षात् यशोमाया ठाढ़ छथि। सजल नेत्र सॅ कहैत छथिन।

‘हे मोन राखब ! हमरा बिसरब जुनि’ 

घूटर आगाँ किच्छु नहि सोचि सकलाह। दोपटा उठा के ओढ़ि लेलन्हि आओर दन्न सॅ घर सॅ बहरा गेलाह। सोझँहिं दालान पर आबि के स्थिर आओर दृढ़ स्वर मे एतबहि कहलखिन 

 ‘हम आज्ञा नहि दऽ सकब। अपने सुनल ? हम आज्ञा नहि दैत छी - - किन्नहु नहि देब !’

दू घंटाक बाद, घूटर जखनि कालीगंज दिस जाइ वला रेलगाड़ी मे बैसलाह, तखनहुं दोपटा ओढ़नहि छलाह।हमरा बिसरब जुनि

 दू घंटाक बाद, घूटर जखनि कालीगंज दिस जाइ वला रेलगाड़ी मे बैसलाह, तखनहुं दोपटा ओढ़नहि छलाह।

Wednesday, November 1, 2023

"हमरा बिसरब जुनि" कथा संग्रहक पाँचम पुष्प

 *परंपरा*

‘ऐ राजरानी, मनोरमा कें पढ़ओनाइ आब हमरा बुतें पार नहि लागत। आइ दुपहरिया में फेर हमरा ठकि के पड़ा गेलीह। एक्के रत्ती तऽ आंखि लागल छल कि पढ़नाइ छोड़ि के इएह ले वएह ले --- पार! बदमासि केहेन जे पाँजेब फोलि के पलंग तर मे राखि देलनि, किएक तऽ हम जागि जइतहुं त पड़ा नहि सकितथि।’

              ननदि गोदावरीक मुँह सॅ पुतोहुक गुनगाथा सुनि के दुर्गेश्वरी माथ पकड़ि के बैसि गेलीह। मनोरमा सत्ते सभक नाक मे दम्म कऽ के राखि देने छलीह।

‘हम तऽ कहै छी जे एकटा मेम मास्टरनी राखि लियऽ नहि तऽ ई अहाँक मनोरमा पढ़तीह लिखतीह नहि। की कहू जे केहेन दुस्साहसी छथि -- सिलेट पर लिखलनि ए ‘ग’ ‘धा’

बालिका मनोरमाक शिकाइत करैत गोदावरी के हॅसी लागि गेलनि। आठ बरखक मनोरमाक चयन वएह केने छलीह अप्पन सोलह वर्षीय भातिज शिवनंदनक लेल।

      कतेको कथा आयेल छल। कालीगंज रेयासतक राजकुमार लेल कन्यागतक कोन कमी। सभ तरहें देखि परखि के तीन टा कन्याक नाम सूची मे सॅ छाँटि के रखने छलीह रानी दुर्गेश्वरी देवी। मुदा बेसी तारतम्य नहि भेलनि। एक्कहि नजरि मे विधवा भामाक बेटी ‘ललिता’ पसिन्न पड़ि गेलखिन। राजभगिनी गोदावरी निश्चय कऽ लेलनि। अइ सँ सुन्नरि कन्या आब कतऽ भेटितनि, तै पर उच्च श्रोत्रिय वंश आओर परिचित कुटुंब। ललिता पहिनहि तेहेन मोन मे रमलखिन जे विवाहक बाद नाम पड़लनि ‘मनोरमा’।

             मुदा वएह मनोरमा आइ सासुक मनश्चिंताक कारण बनि गेल छथि। विवाह सॅ पहिने केओ सोचनहुं नहि छल जे विधवा माइक एकमात्र संतान हेबाक कारणे मनोरमा ततेक आवेश-दुलार पओने छलीह जे पुतोहुक रूप मे हुनका अनुशासित केनाइ कठिन होएत।

दुर्गेश्वरी बजलीह

‘ई ठीके कहैत छथिन। ओहनो ई कतेक दिन धरि पढ़ा सकथिन। इएह अप्पन भाइ के कहि के एकटा मास्टरनी ठीक करवा लेथु। मनोरमा तऽ की पढ़तीह से नहि जानि मुदा बड़कि कनेआँ के अंगरेजी पढ़बाक सौख छनि से पूरा भऽ जेतनि।’

 बड़की कनेआँ ‘नित्यरमा’ एगारह बरखक छथि। एक तरहें वएह मनोरमाक संरक्षिका छथिन। मनोरमाक ‘बहिनदाइ’। सासुर मे जेठ बहिनक लाभ भेल छनि मनोरमा कें। दूनू बहिन-देयादिनी संगहि रहैत छथि।

 भाउजक विचारक अनुमोदन करैत गोदावरी कहलखिन ‘ठीक अछि, आइ साँझ मे जखनि भाइ साहेब अओताह तऽ हम कहबनि’

‘एकटा गप्प आओर, मास्टरनीक रहबाक लेल डेराक प्रबन्ध आओर दूनू कनेआँक लेल पढ़बाक कोठली, एकरो व्यवस्था हेबाक चाही’

भविष्यक आवश्यकता ध्यान मे राखि के दुर्गेश्वरी ननदि के कहलखिन।

‘कतेक कोठली त ओहिना खाली पड़ल अछि लाल हवेली मे, तही सभ सॅ काज चला लेब। अनेरे नव कोठली बनवाके की हेतैक ---- ओना अहाँ जे उचित बूझी ---- मुदा ई सभ अहाँ हमरा कियेक कहेत छी? अपनहि कहबनि। आकि रूसल छी आइ काल्हि हमर भाइ सॅ?

दुर्गेश्वरी किंचित लजाइत बिहुंसैत उत्तर देलखिन

‘आब हमर वएस अछि रूसै बौंसै के? नइ नइ, एम्हर किछु दिन सॅ अबैत अबैत बेस अबेर भऽ जाइन छनि। तै पर सॅ तेहन ह्रस्त भेल अबै छथिन जे ------- तैं हिनका कहैत छियनि।

 सभ दिन साँझ मे राजा यशनंदन अप्पन जेठि बहिन गोदावरी दाइ सॅ भेंट करबाक लेल हवेली मे अबैत छथि। ओहि काल मे दुनू भाइ बहिन मिल के हवेलीक छोट पैघ समस्या सॅ संबंधित निर्णय लैत छथि। दुर्गेश्वरी ओतऽ रहैत तऽ छथि मुदा जेठ ननदिक सोझाँ, स्वामी सॅ बजैत नहि छथि। तैं ओ गोदावरी सॅ कहलखिन अछि।

 ओइ दिन सँझुका बैसाड़ी मे किहु एम्हर ओम्हर के गप्पक पश्चात्, गोदावरी मनोरमाक प्रसंग फोललनि। एक आठ बरखक अबोधा, दूनू प्रौढ़ा के मोन दिक कऽ देने छनि, एहेन समस्या सुनि के राजा के बड़ कौतूहल भेलनि। पुतोहुक मुख देखबाक इच्छा प्रकट केलनि। दुनू कनेआँ हाजिर कयेल गेलीह। गोदावरी एक-एक कऽ के दुनूक मुँह पर सॅ घोघ हटा देलखिन। राजा सिनेह सॅ पुतोहुक मुँह देखलनि आओर दुनूक हाथ मे एक-एक टा अशरफी दऽ के आशिर्वाद देलखिन। बहिन सॅ कहलखिन

‘पुतोहु तऽ साक्षात् लक्ष्मी सन पौने छथि अहाँक भाउजि’

फेर मनोरमा कें इंगित कऽ के बहिन सॅ पुछलनि

‘हम काल्हि कलकत्ता जायेब, सोम धरि घुरब, छोटकी कनेआँ सॅ पुछियौन जे हुनका ले हम की सनेस अनियनि’

जावत गोदावरी किछु पुछितथि की बजितथि तावत मनोरमा तपाक सॅ बाजि उठलीह

‘जी, हमरा एकटा ताला चाही’

सभ के आश्चर्य भेलैक कनेआँक निर्भीकता पर। राजा फेर आवेश सॅ पुछलखिन। अइ बेर सोझँहि पुतोहु सॅ

‘कियेक ? ताला लऽ के की करब?’

दुर्गेश्वरी आँखिक इशारा सॅ मना करितथिन तइ सॅ पहिनहिं खूब ओरिया पोरिया के मनोरमा कहऽ लगलखिन

‘जी, हमर आलमारी मे ताला नइ छैक। गहना गुरिया सभ रहैत छैक से यदि केओ चोरा लेतैक तखन की हेतैक!’

यशनंदन कें हँसी लागि गेलनि। पुतोहुक प्रतिभा सॅ प्रभावित भेलाह। स्त्राी के सुनाके कहलखिन

‘विलक्षण बुद्धि छनि। एखनहि रनिवासक चाभी हिनका सोंपि के हमरा लोकनि निश्चिंत भऽ सकैत छी’

प्रसन्नचित्त, राजा सँझुका दरबार मे जेबाक लेल ठाढ़ भऽ गेलाह।

 मनोरमाक प्रतिभा सॅ दुर्गेश्वरी प्रसन्न अथवा परिचित नहि छथि से बात नहि। जही दिन कुमर शिवनंदनक आँगुर मे आँगुर लगौने, एहि महागृह मे प्रवेश केने छलीह मनोरमा, तही दिन सासु के प्रभावित कऽ देने छलीह।

 जखनि कुमर के ई समाचार भेटलनि जे हुनक विवाह हेवाक लेल छनि तऽ ओ राता-राती महल सॅ पड़ा गेलाह। मुदा पड़ा के जइतथि कतऽ। गर्मी छुट्टीक लाथें कतेक दिन धरि कलकत्ताक कोठी मे बैसल रहितथि। जेठ बहिनोउ आओर किहु मोसाहेब लोकनि बुझा समझा के लऽ अनलखिन। तैयो अपन विवाहक गप्प कुमर के जॅचैत नहि छलनि।

 जेठ भाइक विवाह दू वर्ष पूर्वहिं भऽ गेल छलनि। तरुण कालिकानंदन के अपन बालिका कनेआँ लग जाइ मे लाज होइन्ह। ऐहेन नहि छलैक जे मोन नहि होनि जाइक, खूब मोन होनि, मुदा छोट भाइ सभ मिल के ततेक कचकचबथिन जे लाजें कनियाँ लग नहि जाथि। आओर कचकचबै मे अगुआ रहथि इयेह शिवनंदन।

‘आब हमरो वएह दशा होयत, भाइ सभ कचकचा के नाक मे दम्म कऽ देताह, नइ नइ, हम किन्नहु विवाह नइ करब!’

 मुदा कतबो ‘नइ नइ’ केलनि, शिवनंदनक विवाह भइये गेलनि।

 दुर्गेश्वरी बड़ मनोरथ सॅ विवाहक आयोजन केने छलीह। भावी समधिनक आर्थिक विपन्नता दुआरे दुनू पक्षक भार अपना पर लऽ लेने छलीह। किला सॅ कोस भरिक दूरी पर जे कोठी छलनि ओकरे समधियारक रूप देल गेलैक आओर मास दिन पूर्वहिं भामा-दाइ सदलबल आबि गेल छलीह विवाहक ओरियाओन करबाक लेल।

 कुमर शिवनंदनक बरियाती जखन साजल गेलनि तऽ पूरा नगर, किलाक सिंह दरबज्जा पर उमड़ि आएल छल। तासाक तड़तड़ी आओर नगाड़ाक गड़गड़ी सॅ वातावरण गनगना उठल छल। आगाँ आगाँ कहार सभ एक गोट विशालकाय बाँसक डाला उठौने जाइत छल जेकरा बाँसेक खपचीक रंग बिरंग फूल ओ चिड़इ सभ सॅ सजाओल छलैक। ओहि डालाक मध्य मे पीसल मिश्री सॅ बनाओल एकटा पैघ सनक शिवलिंग राखल छलैक आओर चारू कात विभिन्न वस्तु, जेना सुपारी, मेवा मसाला, सौभाग्य सिंदूर, हवनादिक उपकरण आदि। डालाक पाछाँ सॅ बाजा वला सभ छल आओर तकर बाद पंडित पुरोहित लोकनि शांतिपाठ करैत चलैत छलाह। कतेको काँचक झाड़-फानूस, रंग बिरंगक इजोत सॅ झकझकाइत, बरियातक शोभा बढ़ा रहल छल आओर एहि झाड़-फानूसक वृत्ताकार समूहक बीचोबीच चानीक तामदान पर कुमर शिवनंदन वऽर बनल बैसल छलाह। आठ कहार मिलि के तामदान उठौने छल आओर दूटा खवास चामर डोलबैत छल।

 वऽरक परिधानक रंग पीयर छलनि। पीयर धोती तौनी आओर पीरे किमखापक कुर्ता। माथ पर रेशमी पाग, जेकर मध्य मे जड़ाबी कलगा। गऽर मे हीरामोतीक बहुमुल्य हार आओर यथास्थान सभ आभूषण, जेना कुंडल, चौकठा, माठा।

 वरक पाछाँ हाथीक जुलूस सजाओल छलैक आओर भाँट लोकनि विरुदावलि गबैत जाइत छलाह। अंत मे विलायती मोटरकार सभ मे राजा साहेब, तीनू कुमर आओर कुटुंबगण, फेर ब्राह्मण, खवास, नौकर-चाकर, कुल मिलाके एक सय एक्कैस व्यक्ति छलाह बरियात मे।

 ओहि राति, कुटुम्बिनी लोकनिक सत्कारादिक निर्देश दैत दैत बड़ अबेर भऽ गेल छलनि दुर्गेश्वरी के। श्रान्त भऽ के ओछाओन पर पड़ि गेल छलीह। मुदा सुति नहि सकलीह।

 समाचार आयेल जे विवाह संपन्न भऽ गेल। संगहि आनो तरहक रोचक समाचार नववधूक संबंध मे। पहिल तऽ ई जे कनेआँ जिद्द ठानि देलकै जे ‘हम बरियाती देखब’। अंततः खवासिनक कान्ह पर चढ़ि के अप्पन बरियाती देखलकैक। देखि के खूब थपड़ी पिटलकैक। - - - - दोसर ई जे पुतोहुक मुँह देखि के राजा कहलखिन ‘साक्षात जगदम्बा’। - - - - सभ सॅ महत्वपूर्ण ई, जे सोहागक बेर मे अपन आगू मे गहना गुरिया क स्तूपाकार ढेरि देखि के नव कनेआँ कनेक्को कौतूहल नहि देखऔलकैक। विधक बीचहिं मे ओंघाए लगलैक आओर विधकरीक कोर मे सुति रहलैक। रानी दुर्गेश्वरी के बड़ संतोष भेल छलनि सुनि के।

 ई बुझियो के, कि पिछुलका राति ओकर विवाह भऽ गेलैक आओर ओ नीक सॅ देखियो नहि पओलक, ललिता प्रसन्ने भेल। ‘चलू आखिर वियाह भेल तऽ! आब देखब हम राजाक घऽर, खूब मजा अओतैक’।

ललिता के ई बूझल भऽ गेल छलैक जे ओतऽ भाँति भाँतिक जानवर सभ पोसि के राखल छैक, हाथी, घोड़ा, हरीन, चिड़इ सभ। एतेक दिन सॅ जे राजा रानीक खिस्सा-पिहानी सुनने छलैक नानीक मुँहें, से आब साक्षाते देखतैक।

‘बेस, आब आओर देर नहि, जल्दीये देखब सभ किहु, खूब सुख करब!’

 मुदा अबोध ललिता के ई ज्ञान नहि छलैक जे राजाक घर जाइत जाइत सभ किहु बदलि जाइ वला छलैक। राजसुख तऽ भेटतैक ओतऽ मुदा माएक आँचरि नहि भेटतैक। ने भेटतैक सखी बहिनपाक झुंड। जे किहु आइ तक ओ देखैत आएल छल, किछु नहि भेटतैक। एतऽ धरि जे स्वयं ललितो नहि हेतैक ओतऽ, हेतीह ‘रानी मनोरमा देवी’।

 विदा हेबाक काल धरि ललिताक उमंग कम नहि भेल छलैक। माइ के कहलकै

‘तोहूँ चल ने माँ! पालकी मे ढेरी जगह छैक, तो ओम्हर बैस जो। हम तऽ खिड़की लग बैसब!’

ई कहि ओ भामाक आँचर पकड़ि के घिचॅलकैक। एतीकाल धरि भामा अपना कें जब्त रखने छलीह। एके बेर सभ नियंत्राण बेकार भऽ गेलनि। अचेत भऽ के खसि पड़लीह। दाँती लागि गेलनि। एम्हर कहार सभ पालकी उठा लेलकैक। आब अबोध ललिता माइ ले कानऽ लगलैक,

‘हमर माँ खसि पड़ल, की भेलै? माँ संग मे आयेल किएक नहि?’ मोन मे जेना डऽर पैसि गेलैक आओर ललिता जोर जोर सॅ माँ माँ कहैत हिचुंकि हिचुँकि के कानऽ लगलैक। घोघ उघरि गेलैक, सभटा सिंगार-पटार नोचा गेलैक मुदा ललिता के कोनो सुधि नहि रहलैक।

 वएह एक क्षण मे सभ परिवर्तित भऽ गेलैक। अप्पन कें अप्पन नहि कहि सकनाइ आओर अपरिचित-अनजान लोक सभ कें सर्वस्व स्वीकार केनाइ के अत्यंत कठिन कष्टगर स्थिति सॅ पार भऽ के ‘ललिता’ सॅ ‘रानी मनोरमा’ मे परिवर्तन भऽ गेल छलैक ओ आठ बरखक कन्या। आओर ओ बुझबो नहि केलकैक।

 पालकीक दोसर छोर मे बैसल शिवनंदन कें पहिने तऽ संकोच भेलनि मुदा जखनि कनै के स्वर बढ़िते गेलैक तखन ओ अपन संगिनी कें पहिल बेर संबोधित केलनि

‘कनैत कियेक छी? चुप भऽ जाउ ----- माँ के हम काल्हिये बजवा देब --- नइ कानी, देखू, हमर दिस ताकू तऽ -- चुप भऽ जाउ --- तमाशा देखब? थम्हू, हम अहाँ के खिरकी लग सॅ तमाशा देखबैत छी।’

शिवनंदन खिड़कीक ओट सॅ अपन नव विवाहिता के बाहरक दृश्य देखबऽ लगलाह। बाहर मे रानी मनोरमा देवीक वधुप्रवेशक चहल पहल छल। एक दिस कठपुतली सभक नाच भऽ रहल छल, दोसर दिस नाटक नौटंकीक हल्ला होइत छल। इजोतक चकमक्की सॅ मनोरमाक आँखि मे चकचौन्हि लागि गेलनि। ओ तन्मय भऽ के तमाशा देखऽ लगलीह। एम्हर शिवनंदन स्त्रीक सुश्रुषा मे लगलाह, बीयनि सॅ घाम सुखा देलखिन, सिंगार पटार सहेजि देलखिन। तमाशा देखै मे तेहेन ध्यान चलि गेल छलनि मनोरमाक जे किच्छु नहि बुझलखिन। माइयो के बिसरि गेलीह। ओंघाए लगलीह।

 सिंह दरबज्जा सॅ प्रवेश करितहिं रानी मनोरमा कें तोपक सलामी पड़लनि। तोपक गर्जना सॅ निन्न टूटि गेलनि आओर अकबका कॅ उठि बैसलीह। सवारी, हवेली लग आबि गेल छलैक से देखि शिवनंदन झट दऽ कनेआँक माथ पर घोघ तानि देलखिन।

 जरीक फूल वला, पीयर रंगक महीन रेशमी नुआ सॅ छनि के एक आभा सन पसरि गेलैक हवेली मे। पालकी स उतरितहिं मनोरमा सभक मोन मे पैसि गेल छलखिन। ‘साक्षात जगदम्बा’ ठीके कहने छलाह राजा साहेब। पुतोहु तऽ वास्तव मे अद्वितीय छलीह।

 मुदा जिद्द सेहो अद्वितीय छलनि। प्रातहिं अपन प्रथम परिचय देलखिन। जलखइक थारी दिस एक नजरि ताकि के तेहेन ने मुंह घुमा के बैसि गेलीह जे कतबो बौंसल गेलनि, टस सॅ मस नहि भेलीह। जखनि ई समाचार राजकन्या यशोमायाक कान मे पड़लनि जे नवकी कनेआँ रूसि गेल छैक तऽ हुनका बड़ कौतूहल भेलनि। आबि के बौंसए लगलखिन

‘कनेके खा लियऽ, भूखल केओ रहए? अहाँ तऽ हमर दुलरुआ भाउजि छी, कनेके खा लियऽ’

मनोरमा कें ततबा जोर सॅ भूख लागि गेल छलनि जे आओर बरदाश्त नहि भऽ रहल छलनि। तइयो अप्पन जिद्दक टेक रखति बजलीह

‘एह! अहिना कोना खा लिय? एक मास सॅ सुनि रहल छी जे ‘राजाक घऽर मे खाजा भेटत’ ‘राजाक घऽर मे खाजा भेटत’ मुदा एतऽ तऽ खाजाक पते नहि छैक। नइ नइ, हम तऽ राजाक घऽर में पहिने खजे खाएब’।

फेर मुँह घुमा लेलनि मनोरमा। एहेन विलक्षण गप्प पर यशोमाया के हँसी लागि गेलनि मुदा अपना कें संयत राखि, गंभीर मुद्रा बना लेलनि आओर भाउजक अनुमोदन करैत बजलीह

‘से तऽ ठीके, खाजा तऽ हेबाके चाही। थमहू, हम एखनहि मंगा दैत छी’

आगू बजलीह

‘सएह, एतनीटा बात ले अहाँ रूसि कियेक रहलहुं? हमरा कहितहुं, हम अहाँक जेठि ननदि छी से अहिना? एक चंगेरा खाजा मंगा राखितहुं अहाँक लेल। मुदा हमरा कि बूझल छल जे खाजा अहाँ के एतेक पसिन्न अछि?’

जेठ ननदि छथि, से बुझि, पहिने तऽ मनोरमा एक क्षण ते चुप्प भऽ गेलीह मुदा लगले हाथ हिला हिला के कहऽ लगलखिन

‘एह, खाजा तऽ हमरा एकदम्मे पसिन्न नइ अछि, मुदा तइ सॅ की? जखन ई कहबी छैक जे ‘राजाक घऽर मे खाजा भेटत’ तखनि खाजा हेवाक चाही ने थारी मे?’

‘अवश्ये किने, खाजा तऽ हेवाके चाही।- - - ओना कोन मधुर बेसी पसिन्न अछि अहाँ केॅ?’

यशोमायाक प्रश्न पर मनोरमा फेर कनेक चुप्प रहलीह, तखनि आस्ते सॅ कहलखिन

‘माँ मना केेने छल सासुर मे बजै लए, आओर इहो कहने छल जे ‘किच्छु नहि मंगबैक’- - - - मुदा ई पूछैत छथि तऽ - - - रसगुल्ला !- - -’

 भाउजक पसिन्न आओर जिद्द दुनू पूरा करैक आदेश देलखिन यशोमाया। दुनू वस्तु आनल गेल। तखनि जाके दुनू ननदि-भाउजि एकहि संग पनिपियाइ केलनि।

 दोसर परिचय लोक सभ के तखनि भेटलैक जखन मनोरमा कें मोन पड़लनि जे हुनकर एकटा बहिन छथिन एतऽ आओर एखनि घरि ओ बहिन के देखियो नहि सकलीह अछि।

‘बहिनदाइ कें बजा दिय, हम्मर बहिनदाइ कें बजा दिय’ रटऽ लगलीह मनोरमा। जेठि देयादिनी नित्यरमा, बहिन होइथिन, सएह सिखा बुझा के भामा बेटी के सासुर पठौने छलीह। बात ई छलैक जे पिछुलका राति जखन स्त्राीगण लोकनि नव कनेआँक मुंह देखने छलखिन तखन एगारह बरखक नित्यरमा सुतल रहि गेल छलीह आओर एखनि साँझ सॅ पहिने कनेआँ देखबाक नीक बेर छलैक नहि। तैं नित्यरमा नव कनेआँक लग नहि आएल छलीह। मुदा एतऽ तऽ दुपहरिये सॅ मनोरमा तेहेन ने हल्ला मचौलनि जे दुर्गेश्वरी के स्वयं आबि के बुझबऽ पड़लनि। सासुक कहल पर मनोरमा मानि गेलीह आओर नगहर मे एक कात बैसि के साँझ पड़बाक प्रतीक्षा करऽ लगलीह।

 साँझ पड़ितहिं नित्यरमा देयादिनी लग एलीह आओर बजलीह

‘देखू हमहीं छी नित्यरमा, अहाँक बहिनदाइ’

अप्पन बहिनदाइ के चीन्हि के मनोरमा खूब लऽग मे ससरि एलीह आओर चिरपरिचिता जेकाँ बहिनक हाथ गसिया के धऽ लेलनि। आस्ते सॅ कहलखिन

‘बहिनदाइ, माँ लग चलू ने, आब हम माँ लग जाएब’

नित्यरमा घबरा के देयानिनीक मुंह पर अप्पन हाथ राखि देलखिन ‘चुप चुप, माँ आब कत्तऽ? माँक नामो नहि बाजी, माँ आब कत्तऽ?’

कहैत कहैत नित्यरमाक कोंड़ फाटि गेलनि। कानि के देयादिनी के अंक मे भरि लेलनि आओर दुनू बहिन एक दोसराक गऽर धऽ कानऽ लगलीह।

 क्षणे भरि मे चतुरा मनोरमा जेना सभ बुझि गेलीह। बुझि गेलीह जे माँ नहि भेटतीह आब, इहो जे नित्यरमे आब सुख दुखक संगिनी हेथिन आओर इहो जे एतऽ ओ बुलै ले नहि आयेल छथि। आब एत्तहि रहबाक छनि।

 एक अबोध कन्या के माइक कोर सॅ छीनि अनलनि अछि, ताहि अपराध-बोध सॅ दुर्गेश्वरी कें बड़ कचोट होइन्ह। तैं समधिन कें मास भीतरहिं बजा पठऔने छलखिन। साग्रह लिखने छलखिन जे प्रत्येक मास मे बेटी के देखि जाथु। अपनहुँ दिस सॅ मनोरमाक देखरेख मे कोनो कसरि नहि रखने छलीह।

 मुदा मनोरमा बड़ चंचला छलीह। एक दिन नित्यरमा ओसारा पर बैसि के अंगरेजीक किताब मे किछु पढ़ैत छलीह। तखनहि मनोरमा कोम्हरहु सॅ एलीह आओर देयादिनी पर हुकुम चलौलनि

‘बहिनदाइ, पढ़नाइ छोडू़, हमर कनियाँ पुतरा कें कपड़ा पहिरा दियऽ’

मुदा नित्यरमा के एखनि पढ़बाक मोन छलनि, तैं ओ पढ़िते रहलीह। मनोरमा फेर कहलखिन

‘चलू ने, लूडो खेलाइ ले’

नित्यरमा कोनो उत्तर नहि देलखिन, पढ़िते रहलीह। आब मनोरमा अपन कनियाँ-पुतराक पेटी मे सॅ सुई ताग आओर कपड़ाक एकटा टुकड़ा निकालि अनलनि आओर कहलखिन

‘पढ़नाइ बंद करू ने, एकटा कुर्ता सी दियऽ, आइ हम पुरनकी कनियाँ के नव कपड़ा पहिरेबनि’

नित्यरमा कें एखनहुं लीन देखि के मनोरमा के तामस चढ़ि गेलनि। बात बनबए लगलीह

‘की अंटसंट पढ़ैत रहैत छी? कैट के हिज्जे अबैत अछि? सी,ए,टी, कैट माने बिलाइ - - - अच्छा कहू तऽ -- आर,ए,एम के की माने होइत छैक - - - जी नइ भगवान नहि - - - आर,ए,एम, रैम, रैम माने भेड़ा - - - - एफ,ए,टी, फैट, फैट माने मोटकी, जेना अहाँ छी -- मो-ट-की!’

अकच्छ भऽ गेलीह नित्यरमा। आंखि गुरेड़ि के डपटलखिन

‘चुप, चुप्प रहू!’

आखिर बहिनदाइक ध्यान टुटलनि से देखि मनोरमा प्रसन्न भऽ के शैतानी सॅ भरि के पुछलखिन

‘कोना चुप रहू यै, हमरा तऽ चुप्प रहै ले अबिते नहि अछि’

नित्यरमा खिसिया के कहलखिन

‘मुंह सी लियऽ! भूत कहाँ के!’

एतबा कहबाक देरी छल कि अपन दुनू ठोरक आर-पार सुइया घुसा लेलनि मनोरमा! दर्द तऽ सहिये गेलीह, देयादिनी के इशारा सॅ अप्पन आज्ञाकारिताक प्रमाण देखबऽ लगलीह। नित्यरमा आतंके चिचिया उठलीह। लोक सभ दौड़ल। सुइया निकालि के धो-धा के दवाइ लगाओल गेलनि। पुतोहुक करिस्तानी पर दुर्गेश्वरी माथ पीटि लेलनि।

 ओहि दिन, मास्टरनीक आवश्यकता बुझि के राजा साहेब कलकत्ता मे मित्रलोकनि सॅ संपर्क केलनि आओर मास दिनक भीतरहिं मिसेज़ विलियम्स अपन नौ बरखक बेटी ‘रोज़’ कें संग लगऔने कालीगंज पहुंचि गेलीह। रोज़ के, मिसेज विलियम्स दुनू कनेआँक सखीक रूप मे प्रस्तुत केलनि। किछुये दिन मे नील आँखि आओर गोरि चाम वाली रोज़, मनोरमाक अंतरंग बनि गेलीह।

 एहि बीच, हवेली मे कतेको परिवर्तन भेलैक। मिसेज़ विलियम्सक विचार सॅ किलाक विभिन्न भाग कें टेलिफोनक सूत्र सॅ जोड़ि देल गेलैक। एहि सॅ रानी दुर्गेश्वरी के बड़ सुविधा भेलनि। परदाक चलनक कारणे दिन मे राजा सॅ संपर्क केनाइ संभव नहि छलनि, से आब सुगम भऽ गेलनि। हवेली मे स्त्रीगणक उपयोग लेल एक बैठकखाना सेहो बनवाओल गेल जेकरा मखमलक सोफा परदा आओर आदमकद आइना-चित्रादि सॅ सजाओल गेलैक। एकटा ग्रामोफोनहुं मंगाओल गेलैक। आब साँझक बेर मे दुर्गेश्वरी, गोदावरी आओर मिसेज़ विलियम्सक बैसाड़ी ओत्तहि होइन्ह। रंग-रंगक गप्प होइक। लंदनक गप्प, कलकत्ताक गप्प। दुर्गेश्वरी रेकाॅर्ड छाँटि छाँटि के देथिन आओर मिसेज़ विलियम्स ग्रामोफोन पर बजाबथि। क्रमशः राजा साहेबक संध्या आगमन सेहो ओत्तहि होमऽ लगलनि। बहिन से गप्पो करथि आओर पुतोहु लोकनिक प्रगति के समाचार सेहो लेथि।

 दुनू पुतोहु मोन लगा के पढ़ि रहल छलखिन। मनोरमा तऽ बेश कुशाग्र बुद्धि निकललीह। ओ मास्टरनी सॅ बीसियो प्रश्न पूछथि। रेडियो, ग्रामोफोन, मोटरकार, टेलिफोन, सभसॅ संबंधित प्रश्न। टेलिफोनक स्थापना मनोरमाक आंखिक सोझाँ मे भेल छलनि। सभ से वेसी कौतूहल हुनका एही यंत्र सॅ भेलनि।

 एक दिन, कनियाँ-पुतरा सॅ खेलाइत काल ओ रोज़ सॅ पुछि बैसलीह

‘रोज़ यै, अहाँ टेलिफोन चलबऽ जनैत छी?’

मनोरमाक संगतुरिया भइयो के रोज़ बेस बुधियारि छल। कलकत्ता मे रहैक दुआरे ओ कतेक किछु देखने सुनने छल। तैं कनेआँ सभ ओकरा बड़ मानथिन। ओ अप्पन बुधियारी जनबैत बाजल

‘चलबै मे की छैक? चाभी कान मे लगाउ आओर कहियौ ‘हेलो’ ‘ततबै’? ‘हेल्लउ कहनहि सॅ भऽ जेतैक?’

प्रसन्न भऽ के पुछलखिन मनोरमा। रोज़ हुनका बुझबैत कहलकनि

‘अहाँ तऽ बीचहि मे लोकि लैत छियैक, जेहने चाभी कसबैक कि ओम्हर से केओ पूछत ‘कोन नंबर’। जखनि अहाँ नंबर बता देबैक तखन दोसर दिस घंटी बजतैक आओर केओ कहत ‘हेलो’, हेल्लउ नहि, हेलो, बुझलियेक?’

मनोरमा किछु बुझलीह, किछु नहि बुझलीह। फेर पुछलखिन

‘नंबर कोन? - - हँ - हँ- - काल्हिये तऽ हम माँ के देखने छलियेनि। पहिने चाभी घुमौलखिन, फेर कहलखिन ‘एक’, तखन हेल्लउ कहलखिन अओर हमरा ले चाॅकलेट अनै ले कहलखिन’

बात ई छलैक जे एक्कहि दिन पहिने मनोरमाक समक्षे मे दुर्गेश्वरी राजा साहेब के टेलिफोन केने छलीह। सएह मोन पाड़ि के मनोरमा रोज़क गप्प मानि गेलीह। ओ मानि तऽ गेलीह मुदा इहो जानि गेलीह जे कोना टेलिफोन सॅ चाॅकलेट मंगाओल जा सकैत छैक। चाॅकलेटक स्मरण मात्रा सॅ मनोरमाक मुंह मे पानि आबऽ लगलनि। बड़ कठिन सॅ अपना के रोकलनि आओर रोज़क संग खेलाए लगलीह। मुदा अधिक काल धरि नहि रहि भेलनि। चाॅकलेटक अद्भुत स्वाद बेर बेर मुंह मे अबैन्ह और मोन ललचा उठैन्ह। रोज़क हाथ पकड़ि के मनोरमा सीढ़ी सॅ उतरि गेलीह। सीढ़ीक ठीक नीचा मे सासुक कोठलीक केवाड़ लग मे टेलिफोनक यंत्र टाँगल छलैक।

 चोंगा उठा के चाभी कसि देलखिन। लगले ओम्हर सॅ केओ विनम्र स्वर मे बाजल

‘प्रणाम रानी साहिबा, कोन नंबर लगबियैक?’

पहिने तऽ मनोरमा लकथका गेलीह मुदा एक्के छन मे सम्हरि के रोज़ दिस तकलनि जे आंगुर सॅ ‘एक’ के इशारा दैत छलनि। कहि देलखिन

‘ए-ए-एक’

दोसर दिस घंटी बाजऽ लागल। फेर केओ भारी स्वर मे कहलकैक ‘हेलो’

ससुरक कंठ मनोरमा चीन्हि नहि सकलीह। चाॅकलेटक फरमाइश कऽ देलनि

‘हेल्लउ! हेल्लउ -- हमरा ले एक डिब्बा चाॅकलेट---’

पूरा वाक्य बजियो नहि सकल छलीह कि गाल पर एक थप्पड़ लगलनि। सासु के प्रत्यक्ष पाबि के मनोरमाक होश गुम्म भऽ गेलनि। हाथ सॅ टेलिफोनक चोंगा छीनि के राखि देलखिन दुर्गेश्वरी आओर क्रोध सॅ लाल पीयर होइत पुतोहुक कान पकड़ि के बिगड़ऽ़ लगलीह

‘छी छी! बड़ भारी सएतान भऽ गेल छी अहाँ! हवेली मे तऽ केकरहु बात नहिये सुनैत छियैक, आब ससुरो लग नचै के सौख भेल अछि! कहू तऽ भला, एतनीटाक छौड़ी आओर ससुर सॅ सोंझहि ठसाठस गप्प! निर्ल्लज केहेन, चाॅकलेट चाही! हटू हमर सोझाँ सऽ।’

 रोज़ त पहिनहि पड़ा गेल छल। मनोरमा जान लऽ के भगलीह ओतऽ सॅ। एम्हर दुर्गेश्वरी माथ पकड़ि के बैसि रहलीह। क्रोध सॅ देह थर-थर कॅपैत छलनि। ओ कुलीन परिवारक छलीह जतऽ ससुर-भैंसुर सॅ बजनाइ महापाप बूझल जाइत छल। मुखरा मनोरमा सॅ बड़ क्लेशित भेल छलीह ओ। तखन ने आइ पुतोहु पर हाथ छोड़ऽ पड़लनि। - - - - ‘पुतोहु छथिन्हों तऽ बड़ उदंड, एकदम बेश्रृंखला! एहेन नेना पुतोहु आनि के वास्तव मे बड़ गलती भेल - - मुदा ससुर सॅ चाकलेट मंगनाइ? नइ नइ, दंड दऽ के कोनो गलती नहि भेल, मनोरमा छथिये तेहने’

इएह सभ सोचैत एक तरहक ग्लानिबोध होमऽ लगलनि दुर्गेश्वरी के। नोर भरि एलनि। विधवा भामादाइक करुण मुख स्मरण भऽ एलनि आओर बुझना गेलनि जे कोनो अपराध भऽ गेल हो। ‘सत्ते तऽ, पहिने केकरो एकमात्र बेटी के दूध छोड़ा के लऽ अनलियैक। फेर ओकरा आवेश सॅ पोसितियैक से त नहि, सासु बनि के सीख पर सीख देमऽ लगलियैक। फटकार आ मारि! बेचारी कनियेटाक जान, हमरा ‘माँ माँ’ कहैत मुंह टुटैत रहैत छैक ओकर, आओर एक हम छी जे ओकरा मारि बैसलियैक!’

दुर्गेश्वरी कानऽ लगलीह।

 किछु कालक बाद जखन मोन कनेक हल्लुक भेलनि तऽ एके बेर स्वाभाविक स्त्रियोचित ममत्व जोर मारऽ लगलनि। मनोरमा लेल मोन करुण भऽ उठलनि।

‘बौंसब हम पुतोहु के, दुलार मलार कऽ के मना लेब अप्पन मनोरमा कें’

निश्चय कऽ के दुर्गेश्वरी उठलीह आओर संदूक सॅ ढाका वला कंगनाक डिब्बा बाहर केलनि जे पिछुलका मास सौदागर सॅ किनने छलीह आओर मनोरमा कें बड़ पसिन्न पड़ल छलनि। ‘इएह दऽ के ओ पुतोहु के बौंसि लेतीह’ से सोचि ओ गहनाक डिब्बा हाथ मे लऽ के मनोरमा के ताकऽ लगलीह। मुदा हवेली मे कनेआँ सभक कत्तहु पता नहि छलनि। तकैत तकैत दुर्गेश्वरी हवेलीक फुलवारी लग पहुंचि गेलीह। केवाड़ सॅ हुलकैक संग दंग रहि गेलीह।

 मनोरमा लतामक गाछ पर चढ़ल छलीह। नुआ समेटि के फाँड़ कसने! नीचाँ सॅ नित्यरमा आओर रोज़ देखा रहल छलखिन आओर मनोरमा लताम तोड़ि तोड़ि के फेकने जाइत छलीह नित्यरमाक खोइंछ मे।

 दुर्गेश्वरी के अपन नेनपन मोन पड़ि गेलनि। अहिना ओहो एहि महागृह मे पुतोहु बनिकऽ आएल छलीह। दसे बरखक छलीह तखन। तितली जेकाँ उड़ैत फिरथि सखी सभक संग, कोन गाछक फल पकलै कि एखन काँचे छैक, सभक खबरि रखैत छलीह। किछु क्षणक लेल दुर्गेश्वरी अतीत मे चलि गेलीह। फेर सजग भऽ के केवाड़े लग सॅ घुरि एलीह।

 कनिक्के काल पहिलुका मारि बिसरि गेल छलीह मनोरमा, से देखि आश्वस्त भऽ गेलनि मोन। सोझें मनोरमाक कोठली मे गेलीह आओर सिरहौना मे कंगनाक डिब्बा राखि देलखिन। फेर जेना किछु मोन पड़लनि। पुतोहुक काॅपी सॅ एकटा पन्ना फाड़ि के ओइ पर लिखलनि ‘अहींक माँ दुर्गेश्वरी’। फेर पुर्जा मोड़ि के कंगनाक डिब्बा मे खोंसि देलखिन आओर कोठली सॅ बहरा गेलीह।